← पाठ सूचीपाठ 01 · मूल आधार
स्वर आ मूल अक्षर
एहि पाठ मे तिरहुता के स्वतंत्र स्वर चिन्हक पहिचान, नाम आ उच्चारण सीखू। पहिने देखू, फेर आवाज सुनू, ओकर बाद बिना देखनाय याद सँ बोलू।
14 INDEPENDENT VOWELS१४ स्वर
१. पहिने ई स्वर देखू
तिरहुता मे स्वतंत्र स्वर अलग अक्षरक रूप मे लिखल जाइत अछि। शुरुआती अभ्यास मे अक्षरक आकार आ ओकर नाम पर ध्यान दिअ।
𑒁अमूल स्वर — छोट ‘अ’ ध्वनि
𑒂आदीर्घ ‘आ’ ध्वनि
𑒃इ‘इ’ ध्वनि
𑒄ईदीर्घ ‘ई’ ध्वनि
𑒅उ‘उ’ ध्वनि
𑒆ऊदीर्घ ‘ऊ’ ध्वनि
𑒇ऋस्वर ‘ऋ’ ध्वनि
𑒈ॠदीर्घ ‘ॠ’ स्वर
𑒉ऌस्वर ‘ऌ’ ध्वनि
𑒊ॡदीर्घ ‘ॡ’ स्वर
𑒋ए‘ए’ ध्वनि
𑒌ऐ‘ऐ’ ध्वनि
𑒍ओ‘ओ’ ध्वनि
𑒎औ‘औ’ ध्वनि
STEP 2 · LISTEN & SPEAKदेखू → सुनू → बोलू
२. सुनू आ बोलू
पहिने अक्षर देखू, ओकर नाम बोलू, तकर बाद नमूना आवाज सुनू। आवाज सुनलाक बाद फेर अपन उच्चारण दोहराउ।
𑒁अमूल स्वर
१
देखूचुनल तिरहुता अक्षरक आकार ध्यान सँ देखू।
२
बोलूपहिने अपन आवाज सँ अक्षरक नाम बोलू।
३
सुनूनमूना आवाज सुनि कऽ अपन उच्चारण मिलाउ।
STEP 3 · WRITE & REPEATलिखू → साफ करू → दोहराउ
३. लिखू आ दोहराउ
नीचाँ हल्का नमूना अक्षर देखाउल अछि। ओकर ऊपर हाथ सँ 𑒁 बनाउ। लिखलाक बाद साफ कऽ फेर दोसर बेर अभ्यास करू।
HANDWRITING PRACTICE𑒁 · अ
अभ्यास 0 / 5𑒁
अभ्यास क्रम
- पहिने हवा मे 𑒁 बनाउ।
- Canvas पर नमूना देखैत 𑒁 लिखू।
- साफ कऽ बिना नमूना फेर लिखू।
𑒁लक्ष्य अक्षर
लक्ष्य: 𑒁 केँ पहचानि, बोलि आ हाथ सँ लिखि सकब। पाठ पूरा करबाक लेल लिखाइ अभ्यास कम सँ कम 1 बेर पूरा करू।